Section A
Q1. निम्नलिखित कोनो एक विषय पर लगभग 600 शब्दमे निबन्ध लिखू: 100 संस्कृति किऐक महत्त्वपूर्ण अछि?
(a) स्मार्ट नगर आ अनस्मार्ट नागरिक
(b) न्यायिक सक्रियता (activism) बनाम न्यायिक असीमितता (overreach)
(c) स्कूली बच्चामे धरोहरक (विरासत) प्रति श्रद्धा
(d) 2. निम्नलिखित गद्यांशकें ध्यानपूर्वक पढ़ि ओकर अन्तमे देल गेल प्रश्नक सटीक एवं स्पष्ट उत्तर अपना शब्दमे लिखू : 12×5 = 60 ई कहल जाइत छैक जे स्त्री आधा आकाश छापि लेलक अछि। एहिमे संशोधन कए एना कहि सकैत छी जे ओ एहिसँ अधिक स्थानक अधिकारी अछि। तथापि, प्रत्येक देशक विभिन्न कालक इतिहासमे, संस्कृति ओ परम्परा, क्षेत्र, धर्म, जाति, वर्ग, श्रेणी, नस्ल, वर्ण, वैविध्यपूर्ण अतीत एवं वर्तमानमे सेहो स्त्रीक जीवनकेँ प्रत्येक क्षेत्रमे पुरुषसँ कम महत्त्व देल गेलैक अछि। ओकरा संग निरन्तर भोजन, कार्य, शिक्षा, स्वास्थ्य एवं विकासमे प्रतिभागी होयबाक अवसर, नेतृत्व आ अपन महत्त्वाकांक्षाकें साकार करबाक अवसर देबामे भेद-भाव कयल जाइत रहलैक अछि। ओ सही अर्थमे विश्वक सभसँ विशाल ‘अल्पसंख्यक’ कहल जा सकैत छथि। पितृसत्तात्मक व्यवस्था स्त्रीकैं एकटा व्यक्तिक रूपमे नहि देखैत छैक, जकर अपन निज पहचान होइक ओ एकटा व्यक्तिक रूपमे, सम्पूर्णतामे सेहो नहि देखल जाइत अछि। ओकर अपन सम्मान, स्वायत्तता छैक, ओ सम्मानक अधिकारिणी अछि आ सामाजिक व्यवस्थामे, कानूनमे एवं संस्थामे ओकरा समान अधिकार देल गेल छैक। एहि सभक अतिरिक्त ओ पुरुषक एकमात्र ओहन औजारक रूपमे देखल जाइत अछि, बूझल-भानल जाइत अछि जे पीढ़ीकैं आगाँ बढ़ा सकय, सेवा-भाव राखय, यौनतृप्तिक पूर्तिक साधन आ परिवारक सामान्य सम्पन्नताक वाहक रूपमे मान्य अछि। स्त्रीक सांस्कृतिक स्वीकृति केवल एहि रूपमे छैक जे ओ कोनो पुरुषक पुत्री, पत्नी अथवा माय अछि। एकर अतिरिक्त ओकर अन्य कोनो पहचान नहि छैक आ निज पहचान, अस्तित्व नहि रहबाक कारणेँ ओकरा हेय दृष्टिसँ देखल जाइत छैक। एसकरि स्त्री एहि वृत्त/परिधिसँ बाहर बुझाइत छथि। एहि श्रेणीमे ओ सभ सम्मिलित छथि जे सांस्कृतिक रूपसँ स्वीकार्य विवाहयोग्य अवस्थाक छथि—मुदा एखन धरि अविवाहित छथि अथवा जे विधवा छथि, तलाक दए देल गेल छैक या लए नेने अछि। पुरुषक सुरक्षा परिधिसँ बाहर रहनिहारि स्त्रीकैं समाज सम्मानक दृष्टिसँ नहि देखैत छैक। ई असम्मान तखन और बढ़ि जाइत छैक जखन ओ पुरुषक सुरक्षा वृत्तकैं अस्वीकारि दैत छैक अथवा ओ अपन जीवनसंगीकैं दुघर्टना अथवा बीमारीक कारण गमा चुकल छैक। पुरुषकेँ सर्वाधिक द्वेष ओहि स्त्रीसँ होइत छैक जे ने मात्र एसकरि रहैत अछि आ ने पुरुषक छाहरिसँ भिन्न अपन अस्मिताक संग जीवन बितबैत अछि। सर्वाधिक विकसित देशक महिला सेहो 60-80 प्रतिशत धरि भोजन बनबैत छथि और विश्वक आधा भोज्य पदार्थक उत्पादनकर्त्ती होयबाक श्रेय सेहो हुनके छनि। सांस्कृतिक रूपसँ सेहो यदि देखल जाय तँ अधिकांश घरमे स्त्रीए भोजन-प्रदाता अछि। तथापि भारतवर्षक सामाजिक-सांस्कृतिक परम्परा ई सुनिश्चित करैत छैक जे स्त्री कम मात्रामे भोजन ग्रहण करैत छथि आ प्रायः एहनो भ' जाइछ जे स्त्रीक लेल भोजन बचिते नहि छैक। एहन घर जतय पर्याप्त मात्रामे भोजन त' छैक, मुदा ओतय सेहो स्त्रीकेँ पौष्टिक भोजन नहि भेटैत छैक। एसकरि स्त्री सेहो सामाजिक बन्धन आ अतिरिक्त भेद-भावक कारणेँ एहि श्रेणीमे आबि जाइत अछि, जखन कि ओ एसकरि अपन बल पर दुनियाँमे संघर्ष कए रहलि अछि। \boldsymbol2 ON ESC CU MIL/17