Section A
Q1. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे) : 10× 5 = 50 भारोपीय भाषा परिवारक महत्त्व
(a) भाषाक विशेषता ओ प्रवृत्ति
(b) भाषा वैज्ञानिक सुभद्र झा
(c) प्राक्-ज्योतिरीश्वर कालक परिचय
(d) सर्वनामक भेद ओ विश्लेषण
(e) अब्राहम ग्रिअर्सनक मैथिली व्याकरण ओ भाषा वैज्ञानिक कृतिसँ परिचय कराउ। 2.
(a) आधुनिक भारतीय भाषासमूहमे मैथिलीक स्थान निरूपित करू।
(b) भाषाक काल-विभाजनक अनुसार मैथिली साहित्यक आधुनिक कालक विषय-वस्तुसँ परिचय कराउ।
(c) भाषाक आकृतिमूलक वर्गीकरण करैत ओकर उपयोगिता सिद्ध करू। 3.
(a) उड़िया ओ असमियाक संग मैथिलीक पारस्परिक सम्बन्धक विवेचन करू।
(b) मैथिली भाषाक विकासमे प्राकृत ओ अवहडक योगदानक उल्लेख करू।
(c) मैथिलीक क्रियापदसँ परिचय कराउ।
(a) 4. 20 भाषा ओ बोलीमे अन्तर स्पष्ट करैत बोलीकैं भाषा बनबाक कारणक उल्लेख करू।
(b) तिरहुता लिपिक महत्त्व ओ विभिन्न रूपक वर्णन करू।